रौतहट, माघ ७ गते । रौतहट क्षेत्र नं १ के खके विद्यायक योगेन्द्र यादव अगामी कुछे दिनमे प्रदेश नं २ मे फोरमके नेतृत्वमे हि सरकार बनेके दावी कएले छत । रौतहटके माधवनारायण नगरपालिकाके प्रथम नगरसभा उदघाटन कार्यक्रमके आजु हिन्दी भाषामे हि सम्बोधन करईत क्षेत्र नं १ के खके विद्यायक योगेन्द्र राय यादव अबके कुछे दिनमे प्रदेश नं २ मे फोरमके हि नेतृत्वमे
सरकार बने जारहल बतएले छत । मधेशी जनता आ मधेशके विकासके लेल हि फोरमके नेतृत्वमे सरकार बने जारहल नेता योगेन्द्र यादव ठोकुवा कएले छत । फोरमके नेतृत्वमे सरकार बनते मधेशी जनताके अधुरा रहल हर सपना पुरा होएके फोरमके नेता एवं रौतहट क्षेत्र नं १ के खके विद्यायक योगेन्द्र यादव दावी कएले छत । कार्यक्रममे बोलईत नेता योगेन्द्र यादव कहलन कि हम क्षेत्र नं १ के खके जनताके लेल जथि भि करसकईछी बस सवके साथ आ सहयोग चाहि, अपना क्षेत्रके कौनो भि जनताके कौनो समस्या अएलापर अपनाके तुरन्त फोन करेला समेत हुन आहवान कएले छत । नेता योगेन्द्र यादव माधवनारायण नगरपालिकामे रिंग रोड समेत बनावेके प्रतिबद्धता जनएले छत ।