रौतहट जिल्लामे पहिलवेल मोवाईल कम्पनी आ स्थानिय विक्रेता साथे अन्तरक्रिया कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । भारतीय कम्पनी लावा मोवाईलके नेपालमे सप्लाई करेवाल अम्वे ग्रुप रौतहट जिल्लाके स्थानिय मोवाईल विक्रेता सव साथे लावा मोवाईलके वारेमे अन्तरक्रियात्क कार्यक्रम कएल गेल हए ।

सदरमुकाम गौर स्थित सिया पैलेस होटलमे शुक्रवारके उक्त अन्तरक्रिया कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । नेपालमे मोवाईलके दुनियामे दोसरका स्थानमे रहल लावा मोवाईलके प्रयोग रौतहटमे पहिल स्थानमे रहल लावा मोवाईलके पुषकर घिमीरे जानकारी देलन । रौतहट डिष्टरीव्युटर साहेव साहके विशेष पहलमे कार्यक्रम भेल प्रदिप धार्मी बतएलन । अन्तरक्रिया कार्यक्रममे लावा मोवाईलके सर्वीस सेन्टर गरुडा बजारमे खोलेके समेत पुसकर घिमिरे प्रतिवद्धता जनएले रहलन । उक्त अन्तरक्रिया कार्यक्रममे जिल्लाके चन्द्रपुर, कटहरीया, विजयपुर, गरुडा, पिपरा बजार आ गौरके स्थानिय रिटेलसवके उपस्थित रहल रहे ।